ATM से रोजाना कैश निकालबाक लिमिट 2,500 से बढ़िके 4,500 टाका भेल

मुम्बई। 31 दिसम्बर। रिजर्व बैंक ऑफ इंडिया नोटबंदी से परेशान लोग सभ के नवा साल के उपहार द' देना अछि। आब अपने 1 जनवरी से एटीएम से रोजाना 4,500 टाका कैश निकैल सकैत छी। पहिने इ लिमिट 2,500 टाका छल। ओनाकि बैंक से एक सप्ताह मे निकालै बला राशि मे कुनु बदलाव नहि कायल गेल अछि, जे एखनहुँ 24,000 टाका अछि। 

आरबीआई एक बयान मे कहलनि कि मौजूदा हालात केर समीक्षाक बाद एटीएम से रोज कैश निकालबाक लिमिट क' बढाके 4,500 टाका क' देल गेल अछि। नवा लिमिट 1 जनवरी 2017 से लागू होयत। एक सप्ताह मे एटीएम से निकाले जाय बला राशि मे कुनु बदलाव नहि कायल गेल अछि। रिजर्व बैंक  500 टाका केर नोट बेसी से बेसी संख्या मे उपलब्ध कराबैक बात सेहो कहलनि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ