मुलायम या अखिलेश? पार्टी केर असली नेता आय हेरल जायत

लखनऊ। 31 दिसम्बर। 31 दिसम्बर यानी आय शनिवार भोर 10:30 बजे के घरी मुलायम सिंह यादव केर राजनीतिक करियरक सबसे मुश्किल समय होयत। मुलायम सिंह 'आधिकारिक' तौर पर घोषित कायल गेल 393 उम्मीदवार सभ के बैठक लेल बजौना छथिन। एहि मे बहुत उम्मीदवार एहनो छैक जे अखिलेश यादव द्वारा जारी कायल गेल लिस्ट मे सही छैथ। एहिलेल ई देखब दिलचस्प होयत कि सभ उम्मीदवार बैठक मे आबैत छथिन वा नहि।  

अखिलेश यादव सेहो भोर 9 बजे विधायक सभक बैठक बजौना छथिन। एहि बैठक से ओ साबित करे चाहता कि पार्टी के बेसी सँ बेसी  विधायक हुनकर समर्थन मे छैथ। अगर मुलायम सिंह केर बैठक मे उम्मीदवार सभक मौजूदगी कनिकोटा कम रहल तेँ ई हुनका लेल शर्मिंदगी केर गप होयत। एहीसे पहिने मुलायम अप्पन राजनीतिक करियर बनेबाक लेल अप्पन कैको संगी जेना चौधरी चरण सिंह, वीपी सिंह आर चंद्रशेखर से नाता तोईड़ लेना छलाह। आय हुनकर अप्पन  बेटा हुनका चुनौती द' रहल छैन्ह। सूत्र सभक कहब अछि कि अखिलेश 'राष्ट्रीय समाजवादी पार्टी' नाम से अप्पन एक अलग पार्टी बना सकैत छैथ जाहिक चुनाव चिह्न मोटर साइकल होयत। तेँ चलू सभ कियो दुनु बाप - बेटा केर बैसार ख़त्म होयबाक इंतज़ार करि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने