दिल्ली। 31 दिसम्बर। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कैल्ह शुक्रवार दिन आधार बेस्ड BHIM (भारत इंटरफेस फॉर मनी) ऐप जारी केलन्हि। ई ऐप केंद्र सरकार के पुरनका UPI ऐप आर USSD मोबाइल सर्विस केर एडवांस्ड रूप अछि। बताओल जे रहल अछि कि ई ऐप बिना इंटरनेट के सेहो काज करत।
कैल्ह शुक्रवार दिन दिल्ली के तालकटोरा स्टेडियम म' डिजी धन मेला कार्यक्रम मे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी एहि ऐप केर लौन्चिंग केर घोषणा केलन्हि। ओ खुद एहि ऐप केर माध्यम से खादी ग्रामोद्योग से खरीदारी सेहो केलन्हि। एहि दौरान ओ कहला कि ई ऐप भविष्य मे प्लास्टिक कार्ड आर पीओएस (प्वाइंट ऑफ सेल) मशीन केर जगह लेत आर डिजिटल इकॉनमी क' बढेबा मे सहयोक करत।
भीम ऐप के उद्घाटनक मौका पर प्रधानमंत्री कहला कि एक दिन एहेन आयत कि पूरा कारोबार एहि पर कायल जे सकत। प्रधानमंत्री कहला कि एहि ऐप केर नाम भारत रत्न डॉक्टर भीमराव आंबेडकर के नाम पर राखल गेल अछि। एहि ऐप के लेल आंगुर केर निशान काफी छैक।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।