पटना। 09 दिसम्बर। बिहार स्कूल एग्जामिनेशन बोर्ड (BSEB) केँ 8 करोड़क टेंडर घोटाला के आरोपी दिवाकर प्रसाद केँ कैल्ह रहस्यमयी परिस्थिति म' मौत भ' गेलन्हि। प्रिंटिंग प्रेस आर छपाई कारखाना के मालिक दिवाकर प्रसाद केर गिरफ्तारी लेल पुलिस छापेमारी करे पहुँचल छल। एहि दौरान बहादुरपुर केँ पंचवटी नगर स्थित आवास केर तेसर तल्ला सँ गिर क' दिवाकर केँ मौत भ' गेलन्हि।
घटना के बाद परिजन सभ खूब हंगामा केलन्हि। परिजन सभक आरोप अछि कि पुलिस जैनबुझी केँ हुनका धक्का द' गिरा देलन्हि, जाहिक बाद अस्पताल ल' जेबा पर हुनकर मौत भ' गेलन्हि। फिलहाल एखन पूरा घटनाक्रम केर जांच चैल रहल अछि। परिजन सभक इयो आरोप छैन्ह कि पुलिस सभ सबूत मेटेबाक लेल सीसीटीवी कैमरा सेहो अप्पन कब्जा म' लेना अछि।
दिवाकर प्रसाद केँ बेटा केर बयानक आधार पर बहादुरपुर थाना म' एफआईआर दर्ज कायल गेल अछि आर जांचक लेल सीसीटीवी फुटेज सेहो देखल जे रहल अछि। पूरी छानबीन करबाक बादे ई स्पष्ट होयत अछि कि दिवाकर क'जैनबुझी छत से फेंकल गेल छल , जाहि कारन हुनकर मृत्यु भ गेल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।