खगडिया : सड़क केर मांग लेल एक दिवसीय धरना

खगडिया। 09 दिसम्बर। जन संघर्ष अभियान केँ संयोजक सुभाष चन्द्र जोशी केर नेतृत्व म' कैल्ह गुरूवार दिन जिला पदाधिकारी कार्यालय केँ समक्ष एक दिवसीय धरना-प्रदर्शन व सभा केर आयोजन कायल गेल। 

मौका पर वक्त सभगोगरी सर्किल नं.1 के एन.एच.107 सँ लेवा गाम होयत बिन्दटोली, पकरैल, बदिया, माहौत, रब्वीबारी, शिशवन्नी, मैरा, पौरा, कोयला, आर बसुआ हाई स्कूल चौक तक सड़क निर्माण केर मांग राखलन्हि। आजादी केँ 70 बरख के बादो एहि क्षेत्र म' पक्की सड़क केँ अभाव म' ग्रामीण आवागमन केर सुविधा सँ परेशान व वंचित अछि। एहि मौका पर देशबंधु आजाद, उमेश यादव, डॉ.सुभाष सिंह, इन्द्रदेव मूणी, डॉ. नारायण शर्मा, मो.रिजवान अहमद, राजेश चौरसिया, डॉ.प्रमोद यादव, बासुदेव बिहारी, प्रमोद चौरसिया, मटूकी साव,चन्द्रदेव साव, विनय कुमार वरूण,राजेश मुखिया आदि उपस्थित छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ