मधुबनी में बीडीओ के फोन पर जान सs मारs के धमकी देल गेल


मधुबनी। 04 दिसम्बर। बिहार के मधुबनी में हरलाखी बीडीओ सरोज कुमार बैठा के  फोन पर जान सs मारs के धमकी देल गेला।  संगैह बात नै मानs पर प्रखंड कार्यालय के जड़ा देबाक सेहो धमकी भेटल। धमकी में जाइत सूचक शब्दक इस्तेमाल कैल गेल एहन सूचना भेट रहल अछि। जाहि के बाद सs बीडीओ के परिवार दहशत में अछि।  
जानकारी के मुताबिक धमकी के बाद भयभीत बीडीओ स्थानीय  थाना में आवेदन देलाह आर कहला कि हमर सरकारी मोबाइल पर मो. नंबर 8409225062 सs फोन करि कहल गेला कि एपीएल वाला के कूपन किया नै देल जाइत अछि। अगर हुनका कूपन नै देल जाइत त वो हमरा जान सs मारि देत तथा प्रखंड कार्यालय के कर्मी समेत जड़ा देत।  
एही के संगैह आवेदन में फोन पर गाली गलौज करै जाति सूचक शब्द के इस्तेमाल के बात सेहो कहल गेला। बीडीओ के खिलाफ जनता के उकसाब के धमकी सेहो देल गेला। आरोपी बेनीपट्टी के समदा गांव व हुनक पत्नी समदा पंचायत के देउरी गांव में शिक्षक पद पर कार्यरत छैथ। आरोप अछि कि दुनु पति-पत्नी मिलक बीडीओ के खूब धमकैला। बीडीओ के लिखित बयान के बाद आरोपी पति-पत्नी पर प्राथमिकी कs प्रक्रिया जारी छल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ