बाबा लक्ष्मीनाथ गोसाई केँ कर्मभूमि बनगाँव सँ निकलै बला 'सरबा सदभावना यात्रा' केँ तैयारी जोड़ पर

सहरसा। 03 दिसम्बर। संतशिरोमणि बाबा लक्ष्मीनाथ गोसाई केँ सरबा  द्वारा कैल्ह दिनांक 04.12.2016 क' सरबा सदभावना यात्रा केँ पालकी सहित बाबा केँ मूल जन्मस्थान परसरमा जेबाक लेल लक्ष्मीनाथ मिशन यूथ बनगाँव के द्वारा तैयारी पूरा तरहे कायल जे रहल अछि। एहि यात्रा क' हरी झंडी बनगाँव केँ बाबा लक्ष्मीनाथ गोसाई कुटी सँ एसडीओ श्री जहाँगीर आलम जी के द्वारा देखाओल जायत, आर बाबा लक्ष्मीनाथ कुटी परसरमा म' बाबा केर कुटी म' सुपौल डीटीसी केर द्वारा दिप प्रज्वलित करि कार्यक्रम केर समापन कायल जायत।

बाबा केर एहि सरबा सदभावना यात्रा म' बनगाँव, चैनपुर,पड़ी, महिषी, रहुआ, बरियाही आर आस पास केँ गामक बाबा केर भक्त लोकनि सरबा बनी सामिल भ' रहल छैथ। ऐहिक सूचना कार्यक्रम संयोजक राहुल कुमार झा देलनि।

संतशिरोमणि बाबा लक्ष्मीनाथ गोसाई (बाबाजी) केँ प्रेमीजन सँ निवेदन जे एहि कार्यभूमि म' भाग ल' एहि महान धार्मिक कृत्य क' सफल बनाबी।

सरबा सदभावना यात्रा स्थान - बाबा जी कुटी बनगाँव सँ परसरमा कुटी, समय -12 बजे

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ