सहरसा में सुपौल समाहरणालय के कर्मी कs हत्या


सहरसा। 04 दिसम्बर। सहरसा में सदर थाना क्षेत्र मुरली शाहपुर के समीप सुपौल समाहरणालय के कर्मी एवं कहरा निवासी शंकर झा के गला रेतकर बेरहमी सs हत्या करि देबाक सनसनीखेज मामला प्रकाश में आएल। हत्या के विरोध में स्थानीय लोग द्वारा प्रदर्शन करैत आगजनी सेहो कैल जगेल। जाहि सs सड़क यातायात प्रभावित भेल। 
जानकारी के मुताबिक कर्मी शंकर झा के हत्या करि शव के पाइन में फेंक देल गेल छल। वारदात के सूचना भेटैते मौका पर भारी भीड़ जमा भ गेल। घटना के विरोध में भीड़ प्रदर्शन करैत एही हत्या मामला सs जुड़ल लोग के जल्द सs जल्द गिरफ्तार करे मांग कैल गेल। पुलिस फिलहाल एही मामला की छानबीन में जुटल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ