पुरनका टाका जमा करबाक शर्त म' छूट, जतेक बेर आर जतेक चाही जमा करा सकैत छी

नई दिल्ली। 22 दिसम्बर। बैंक खाता म' 30 दिसम्बर तक 5000 टाका से बेसी के पुरनका नोट जमा करबा पर प्रतिबंध हटाओल गेल अछि। आब बिना पूछताछ के बैंक खाता मे 5000 टाका से बेसी के पुरनका नोट जमा होयत। जमाकर्ता क' आब बैंक अधिकारि क' एखन धरी पाई जमा नहि करेबाक कारण नहि बताबे परतैंह। 

जानकारीक मुताबिक़, भारतीय रिजर्व बैंक अप्पन ओहि फैसला के वापस ल' लेलन्हि अछि, जाहिमे एक बैंक खाता म' 30 दिसम्बर तक 5000 टाका से बेसी राशि के पुरनका नोट जमा करबा पर कड़ा शर्त लगाओल गेल छल। ई फैसला वापल लेबाक बाद आब बिना पूछताछ के बैंक खाता म' 5000 टाका से बेसी के पुरनका नोट जमा भ' सकत। आब केवाईसी अपडेट बला बैंक खाता पर कुनु प्रतिबंध नहि होयत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ