श्रीमती रंजन आम जनता क' बतौलन्हि कि 45 करोड़ दैनिक मजदूरी करि परिवार क' दू जूनक रोटी मुहैया करबै बला लोग आय बेरोजगार भ' चुकल छैथ। शैक्षिक पिछड़ापन केर कारण आम आदमी जते ‘पेटियम’ जेहेन सुविधाक लाभ उठेबा सँ वंचित रही जायत छैथ ओतहि ‘पेटीएम’ जेहेन कंपनी, जाहिमे चाइना केर 40% शेयर अछि, मालामाल भ' रहल अछि। किछ दिन पहिने तक देश 7. 8 प्रतिशत केर दर सँ विकास दर हासिल केना छल, जो आय घटीके 4 से 4.30 प्रतिशत भ' गेल अछि।
श्रीमती रंजन कहली कि जेपी मोरगन जेहेन विश्व केर बड़का बैंक सेहो साइबर सिक्योरिटी के नाम पर 2000 करोड टाका प्रतिवर्ष खर्च करैत अछि, ऐहिक बावजूद 3 वर्ष पहिने हुनकर अकाउंट हैक क' लेल जेल छल। साइबर सिक्योरिटी केर कारणे अमेरिका जेहेन देश म' सिर्फ 10% लोग कैशलेस खरीदारी करैत अछि। आय लोग सभ लग पाई छैहे नहि तेँ कैशलेस खरीदारी केर कुनु औचित्य नहि रैह जायत अछि। नोटबंदी के कारण आय भारत आर्थिक मंदी केर दौर सँ गुजैर रहल अछि। दोकान से मंडी तक किसान परेशान अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।