पटना। 24 नवम्बर। बिहार केँ दुइ दिवसीय यात्रा पर भागलपुर आइब रहल राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी केर दौरा स्थगित भ' गेल अछि। प्राप्त जानकारी केर मुताबिक़ राष्ट्रपति केँ बीमार होयबाक कारण सँ इ दौरा स्थगित कायल गेल अछि। ओ आब अगला बरख फरवरी या मार्च म' औता।
राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी 26 नवम्बर क' भागलपुर पहुंचे बला छलाह। राष्ट्रपति बांका आर विक्रमशिला विश्विद्यालय म' आयोजित कार्यक्रम म' भाग लाई बला छलाह। राष्ट्रपति केर स्वागत 51000 दीप जड़ा करबाक व्यवस्था कायल गेल छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।