पाकिस्तान केर खिलाफ LoC पर बड़का कार्रवाई, कैप्टन समेत 7 ढेर, PAK रक्षामंत्री देलन्हि युद्ध केर धमकी

कश्मीर। 24 नवम्बर। पाकिस्तानी सेना द्वारा कश्मीर म' दुइ सैनिकक हत्या के बाद एक सैनिक केँ शव केर साथ बर्बरता करबाक प्रतिशोध म' इंडियन आर्मी मुंहतोड़ जवाब देलन्हि। पाकिस्तान क' भारतक एहि जवाबी कार्रवाई म' भारी नुकसान भेलन्हि। जवाबी कार्रवाई म' पाकिस्तानी सेना के एक अधिकारी समेत 3 सैनिक मारल गेल अछि। ऐहिक अलावा पीओके म' 4 नागरिक सेहो मारल गेला।


पाकिस्तानी सेना भारत दिस सँ फायरिंग म' एक अफसर के मारै जेबाक  पुष्टि केना अछि। पाकिस्तानी सेना दिस सँ देल गेल जानकारी के मुताबिक मारल गेल पाकिस्तानी सैनिक सभक नाम अछि कैप्टन तैमूर अली खान, हवलदार मुस्ताक हुसैन आर लांच नायक गुलाम हुसैन।


फायरिंग केँ बाद पाकिस्तान के डीजीएमओ भारतीय समकक्ष लेफ्टिनेंट जनरल रणबीर सिंह क' फोन करि सीमा के हालात पर बात केलन्हि। ई बातचीत पाकिस्तान के अनुरोध पर कायल गेल छल। अपने क' बता दी सर्जिकल स्ट्राइक के बाद ई पहिल मौका अछि जखन पाकिस्तानी डीजीएमओ बात केना छैथ। 


ओतहि पाकिस्तान केँ रक्षा मंत्री ख्वाजा आसिफ कहला कि भारत अघोषित रूप सँ पाकिस्तान संग युद्ध शुरू क' देना अछि। ओ चेतावनी देना छैथ कि पूरा क्षेत्र म' कखनहुँ युद्ध शुरू भ' सकैत अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ