
नई दिल्ली। 24 नवम्बर। नोटबंदी पर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी द्वारा मांगल गेल राय क' ऐप पर पर जबरदस्त समर्थन भेट रहल अछि। प्रधानमंत्री मोदी दावा केलन्हि कि ऐप पर 5 लाख लोग अप्पन राय देना छैथ जाहिमें करीब 93 प्रतिशत लोग नोटबंदी केर समर्थन केना छैथ। सिर्फ 2 प्रतिशत लोग नोटबंदी केँ बारे म' नकारात्मक राय देना छैथ।
मोदी केर वेबसाइट पर देल गेल इंफोग्राफिक म' बताओल गेल अछि कि ऐप पर कायल गेल सर्वे पर हर मिनट 400 से बेसी जवाब आयल। अलग -अलग 2 हजार जगह सँ लोग सभ जवाब देलन्हि जाहिमें 93 प्रतिशत लोग भारत सँ छैथ। 24 प्रतिशत लोग हिंदी म' जवाब देना छैथ। करीब 15 घंटा के सर्वे म' 5 लाख लोग हिस्सा लेलन्हि। एहि आंकड़ा क' कैल्ह बुधवार दिन दुपहर 3.30 बजे जारी कायल गेल जखन की सर्वे केर शुरुआत मंगलवार राति 10 बजे भेल छल।
बेवसाइट पर जारी कायल गेल बयान म' कहल गेल अछि कि 90 प्रतिशत सँ बेसी उत्तरदाता मानैत छैथ कि सरकारक ई डेग ब्लैक मनी क' रोकत आर ऐहिक लेल चारिस्टार सँ ऊपर केर रेटिंग देना छैथ। एहिमें सँ 73 प्रतिशत 5 स्टार केर रेटिंग देलन्हि। बयान म' कहल गेल अछि कि भ्रष्टाचार केर खिलाफ लड़ाई के मुद्दा पर 92 प्रतिशत उत्तरदाता सभ सरकारक एहि डेग केँ सराहना केलन्हि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।