कलयुगी बेटा माता - पिता क' कथित रूपे जिंदा जडेलन्हि, पिता केर मौत

पूर्णिया। 23 नवम्बर। पूर्णिया जिला केँ बनमनखी थाना क्षेत्र म' आय  बुधवार दिन एक बेटा पर अप्पन माता - पिता क' जिंदा जड़ेबाक आरोप लगाओल गेल अछि। एहि घटना म' पिता केर मौत भ' गेलन्हि, जखन की  वृद्ध माता गंभीर रुपे घायल छथिन। 

पुलिस केँ मुताबिक़, महादेवपुर गाम निवासी 70 वर्षीय सारंगधर सिंह अप्पन पत्नी कमला देवी संग कैल्ह मंगलवार रति घर म' सुतल छलाह, एहि दरमियान हुनकर पुत्र सौरभ कुमार किछ लोगक संग मिल घर म' आगि लगा देलन्हि। एहि घटना म' सारंगधर सिंह केर मौत भ' गेलन्हि, जखन की हुनकर पत्नी गंभीर रुपे  घायल छथिन। 

बनमनखी केँ थाना प्रभारी विजय कुमार सिंह कहला कि घायल अवस्था म' कमला देवी क' पूर्णिया के एक अस्पताल म' भर्ती कराओल गेल छैन्ह, जाहिठाम हुनकर स्थिति गंभीर बनल छैन्ह। थाना प्रभारी कहला कि ग्रामीण सभक अनुसार पिता आर पुत्र के बीच संपत्ति लेल पहिने सँ विवाद चलैत छलैन्ह। प्राप्त जानकारी मुताबिक़ किछ दिन पहिने सेहो सौरभ अप्पन बूढ़ माता - पिता संग माइर पिट केना छलाह। पुलिस पूरा मामला केँ छानबीन क' रहल अछि।  घटना के बाद सँ आरोपी सौरभ फरार बताओल जे रहल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ