आय सांझ स' 22,500 एटीएम सँ निकले लागत नबका टक्का, पुरनका टक्का बदलबाक सीमा 4,500 से घटा क' 2,000 कायल गेल

नई दिल्ली। 17 नवम्बर। नोटबंदी केँ बाद स' देश भरी केर एटीएम आर बैंक म' लागल नमहर लाइन सँ आब शायद जल्दीये राहत भेट जायत। वित्त मंत्री अरुण जेटली कहला कि आय गुरुवार सांझ तक देश केँ 22,500 एटीएम सँ नबका 500 आर 2,000 टक्का केँ नोट निकले लागत। एक सप्ताह केँ भीतर दुइ लाख एटीएम सँ नबका टक्का निकालल जे सकैत अछि। ऐहिक अलावा ओ भरोसा दियेलाह कि जल्दीये एटीएम सँ 2,500 टक्का नकद निकालबाक सीमा बढाओल जायत।

देश म' कुल 2,20,000 एटीएम अछि, लेकिन ज्यादातर म' नबका नोट केर अभाव अछि। ऐहिक चलते लोग सभ क' 100 टक्का के नोट सँ गुजारा चलबे पैड रहल छैन्ह। एटीएम स' नबका नोट निकलबाक बाद लोग क' बजार म' खुल्ला केर समस्या सँ छुटकारा भेटतैन्ह। वित्त मंत्री नोट बदलबाक सीमा क' 4,500 टक्का से घटा क' 2,000 टक्का करबाक घोषणा केलन्हि। कैल्ह से सिर्फ 2,000 टक्का बदलल जे सकैत अछि।  

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ