मिथिला केँ रोहित सिंह सुषमा स्वराज क' अप्पन किडनी दान देबाक लेल तैयार

खगड़िया। 17 नवम्बर। एम्स म' भर्ती विदेश मंत्री सुषमा स्वराज केर दुनु  किडनी खराब भ' गेल छैन्ह, ई खबर सुनी खगड़िया जिला केँ एक 30 वर्षीय युवक रोहित सिंह सुषमा स्वराज क' अप्पन किडनी देबाक पेशकश केलन्हि। रोहित सिंह Whatsapp केर माध्यम सँ इ सनेस भेजलन्हि।  रोहित सिंह सँ संपर्क कायल गेल तेँ ओ कहला की सुषमा जीक लेल हम अप्पन एक किडनी देबाक लेल तैयार छी।

रोहित सिंह अपील केलन्हि कि "हम्मर बात हुनका तक पहुंचाओल जाय" एहि पर जखन पटना म' भाजपा एसएलसी राजेंद्र गुप्ता सँ सम्पर्क कायल गेल तेँ ओ कहला कि किडनी दान करबाक नियम - कानून बहुत सख्त भ' गेल छैक। आब सिर्फ पीड़ित के परिजन टा किडनी दान क' सकैत छैथ, आगा ओ कहला की हम इ बात दिल्ली तक पहुंचा दैत छी संगहि रोहित केँ  जज्बा क' सलाम करैत छी।

रोहित सिंह फिलहाल मुम्बई केँ एक टेक्सटाइल लैब म' कार्यरत छैथ। रोहित सिंह  Whatsapp पर जे पोस्ट केलन्हि ओ निचा प्रस्तुत अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ