छठ व्रती सभक सुविधाक लेल 'छठ पूजा पटना' मोबाइल एप

पटना। 05 नवम्बर। राजधानी पटना म' एहि बरख लोक आस्था केर महापर्व छठ पर लोग सभ क' कुनु तरहक दिक्कत नहि होय, एहि लेल जिला प्रशासन एक खास मोबाइल एप तैयार केना अछि। एहि मोबाइल एप केँ नाम 'छठ पूजा पटना' राखल गेल अछि। एहि एप केर माध्यम सँ लोग सभ तरहक जानकारी प्राप्त क' सकता। बिहार म' पहली बेर छठ पूजा केर मौक़ा पर एहेन कुनु तकनीक केँ मदद लेल गेल अछि।

पटना के जिलाधिकारी संजय कुमार अग्रवाल कहला कि पार्किंग सँ ल'के  छठ घाट के दूरी, घाट पर कायल गेल व्यवस्था आर प्रशासन के पूरा तैयारी सभक जानकारी एप म' मौजूद अछि। जिला प्रशासन दिस सँ तैयार एहि एप मे' प्रशासन दिस सँ खतरनाक घोषित घाट सभक जानकारी सेहो देल गेल अछि।

घाट पर प्रतिनियुक्त कायल गेल अधिकारि आर चिकित्सक सभक बारे म' सेहो लोग एहि एप केर माध्यम सँ जानकारी प्राप्त क' सकैत छैथ। प्रतिनियुक्त सभ अधिकारि के मोबाइल नंबर सही एहि में अछि।

जिला प्रशासन के दावा अछिकि एप क' अप्पन मोबाइल म' डाउनलोड करला के बाद श्रद्घालु सभ क' बहुत तरहक सुविधा मिलतैन। एहि एप म' घाट पर लोग सभ क' कुन - कुन सावधानी बरतबाक चाही सभ जानकारी उपलब्ध अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने