नोट बदलबाक लेल बैंक आर डाकघर म' उमड़ल भीड़

पटना। 10 नवम्बर। केंद्र सरकार द्वारा 500 आर 1000 टक्का के नोट पर प्रतिबंध लगेलाक बाद ओहि नोट क' बदलबाक लेल राजधानी पटना सहित पूरा देशक बैंक आर डाकघर म' लोग सभक भीड़ उमैर पड़ल। लोग सभ बैक म' कतार में ठाढ़ भ' अप्पन बारी अयबाक इंतजार क' रहल छैथ। बड़का नोट पर प्रतिबंध के बाद आय गुरुवार दिन एहि नोट क' बदलबाक पहिल दिन छी। जाहिक लेल बैंक व डाकघर म' भारी भीड़ उमड़ल अछि।

बैंक आर डाकघर म' नोट बदलबाक लेल अतिरिक्त काउंटर बनाओल गेल अछि, लेकिन बेसी भीड़ होयबाक कारण लोग सभ क' नोट बदलबाक लेल काफी इंतजार करे पैर रहल छैन्ह। कतार म' ठाढ़ महिला सभ कहलनि कि महिला सभक लेल अलग सँ विशेष व्यवस्था नहि भेला सँ बहुत परेशानी भ' रहल अछि। भीड़ क' नियंत्रित करबाक लेल कैको बैंक म' पुलिस केर  तैनाती कायल गेल अछि। पटना के जिलाधिकारी संजय कुमार अग्रवाल  कहला कि सभ बैंक म' सुरक्षा केर पुख्ता प्रबंध कायल गेल अछि संगहि  बैकक आसपास पुलिस क' गश्त करबाक निर्देश देल गेल अछि। राज्य के अन्य क्षेत्र सहरसा। दरभंगा, मुजफ्फरपुर, कटिहार, पूर्णिया, किशनगंज, जहानाबाद सहित सभ जिला म' एहने नजारा देखबाक लेल भेट रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ