दरभंगा। 10 नवम्बर। प्रमंडलीय वाणिज्य एवं उद्योग परिषद दिस सँ व्यवसाइ एवं बैंक अधिकारी सभक बीच भारत सरकार द्वारा 500 एवं 1000 टक्का के नोट क' बंद करबा सँ उत्पन स्थिति ल' क' शहर के कृष्णा रेसीडेंसी म' एक बैठक कायल गेल।
बैठक केँ अध्यक्षता प्रमंडलीय वाणिज्य उद्दयोग परिषद के अध्यक्ष पवन कुमार सुरेका केलन्हि। मौक़ा पर उपस्थित बैंक अधिकारि सभ व परिषद के सदस्य सभ क' संबोधित करैत कहला कि प्रधानमंत्री देश म' नक़ली नोट सँ भ' रहल भष्टाचार, कालाधन जेहेन कैको देश हित काज क' सुचारू रूप सँ चलेबाक लेल ई डेग उठेलन्हि।
इस निर्णय सँ किनको घबरेबाक जरुरत नहि अछि। ओतहि आयकर अधिवक्ता गोपाल कृष्ण तालुका व चार्टर्ड एकवंटेंट राजीव मिश्रा आयकर प्रवधान केर बारे म' बैठक म' विस्तृत जानकारी देलन्हि। मौका पर उपस्थित बैंक पदाधिकारि सभ बैंक म' राशि जमा करबा म' संयम रखबाक अनुरोध लोग सभ सँ केलन्हि। ओतहि बैंक म' किछ काउण्टर बढेबाक आश्वासन सेहो देलन्हि। बैठक म' स्टेट बैंक, HDFC बैंक संगे कैको आन बैंकक अधिकारी सभक संगे चेम्बर के अजय कुमार पोद्दार, दिनेश मिश्रा, राजेश बोहरा, कुणाल तुलस्यान, मनमोहन सरवगी, नवनीत कुमार, सुनील सिंह संगहि चेम्बर के प्रधान सचिव सुनील कुमार गामी आदि उपस्थित छलाह।

एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।