साइप्रस मिस्त्री केँ जगह पर पटना के इशत हुसैन बनला TCS के चेयरमैन

पटना। 10 नवम्बर। गौरव सँ स्वयं क' रिपब्लिकन बिहारी कहै बला इशत हुसैन आय गुरुवार क' टाटा  कंसल्टेंसी सर्विसेस  (टीसीएस) के चेयरमैन नियुक्त कायल गेला।  ई नियुक्ति पूर्णकालिक व्यवस्था होमै तक लेल कायल गेल अछि। इशत हुसैन टीसीएस म' साइप्रस मिस्त्री केँ जगह नियुक्त कायल गेला। हुसैन केर नियुक्तिक समाद आय बॉम्बे स्टॉक एक्सचेंज क' द देल गेल अछि।

 इशत हुसैन के जन्म पटना म' भेलन्हि। हुनकर निवास पाटलिपुत्र कालोनी म' अछि। हुसैन के पिता पटना हाई कोर्ट म' जज छलाह। हुसैन पटना म' प्रारंभिक कक्षा केर पढ़ाई केलाक बाद पढ़बाक लेल देशक  प्रतिष्ठित बोर्डिंग स्कूल दून स्कूल चल गेल छला। फेर देश-विदेश म' शिक्षा प्राप्त केलन्हि। इशत हुसैन क' टाटा मे' रुसी मोदी आनने छलैन्ह। ओहि समय इशत हुसैन केर अनुभव मात्र सात बरखक छलैन्ह। आगा ओ सफलता केर सीढ़ी चढ़ैत - चढ़ैत रतन टाटा के भरोसेमंद बनि गेला।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने