लालू - नीतीश क' नहि छैन्ह शहीद सभक परिजन केर चिंता : पप्पू यादव

वैशाली। 02 नवम्बर। जन अधिकार पार्टी (लो) के संरक्षक आर सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव कहलनि कि सीमा पर बिहार के सैनिक शहीद भ' रहल छैथ आर हुनक परिजन सभक नोर पोछबाक फुर्सत राजद प्रमुख लालू यादव व जदयू प्रमुख नीतीश कुमार लग नहि छैन्ह।

सांसद श्री यादव  जम्मू कश्मीर के उधमपुर म' शहीद भेल वैशाली जिला के गोविंदपुर पंचायतक चखजे गाम निवासी शहीद राजीव कुमार राय केर परिजन सभ सँ मुलाकात केलन्हि आर शोक संतप्त  परिवार केँ प्रति संवेदना व्यक्त केलन्हि। सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव शहीद केँ दुनु बेटीक बियाह लेल दुइ - दुइ लाख टक्का देबाक घोषणा केलन्हि संगहि बच्चा सभक पढ़ाई लेल प्रतिमाह 10 हजार टक्का देबाक घोषणा सेहो केलन्हि। एहि दरमियान पत्रकार सभ सँ बात करैत सांसद यादब कहला  कि सत्तारूढ़ राजद व जदयू के नेता सभ क' बिहार केर कुनु चिंता नहि छैन्ह। गोपालगंज म' जहरीला शराब पीला सँ दर्जन भरी लोग मरला। छपरा म' सांप्रदायिक हिंसा पसरल, लेकिन दू में सँ कियो पीडि़त सभक  दर्द बाँटबाक कोशिश नहि केलन्हि।

आगा ओ कहला कि लालू यादव व नीतीश कुमार क' सिर्फ अप्पन सत्ता केर चिंता छैन्ह। अपराधि सभ क' सत्ता केर संरक्षण प्राप्त छैन्ह। इये कारण छैक कि बिहार म' अपराध चरम पर अछि आर कानून व्यवस्था मजाक बैन गेल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ