पूर्णिया। 02 नवम्बर। टीकापट्टी थाना क्षेत्र के सपाहा गाम म' लागै बला एकदिवसीय माँ बमकाली केर पूजा एवं सांस्कृतिक कार्यक्रम संपन्न भेल। एहि पूजा म' नेपाल, पश्चिम बंगाल, झाारखंड सहित आन जिला सभक हजारो लोग पहुंचला। पूजा केँ उद्घाटन सांसद संतोश कुशवाहा केलन्हि। पूजा म' उमरल भीड क' संभालबाक लेल टीकापट्टी थानाध्यक्ष नंदकिशोर यादव सहित भारी संख्या म' पुलिस बल तैनात छल।
एहि दौरान श्रद्धालु सभ द्वारा लगभग दस टन मिठाई चढावा चढ़ाओल गेल। बहुत रास श्रद्धालु लोकनि सोना-चांदी केँ जेवरात मैया केर चरण म' अर्पित केलन्हि। मनोकामना पूरा भेला पर एहिठाम हजारो छागर केर बलि श्रद्धालु लोकनि माँ केर चरण म' देलन्हि। मंदिर समिति द्वारा चढ़ावा म' चढ़ल मिटाई क' क्षेत्र म' घर-घर पहुंचाओल गेल, जखनकि छागर के सिरा सेहो बांटल गेल। अपने क' बता दी सपाहा गाम म' इ पूजा आर मेला एक दिन लेल होयत अछि, जखनकि सांस्कृतिक कार्यक्रम तीन दिन धरी चलैत अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।