माँ केर ममता आ कर्तव्य निष्ठा क़' प्रतिक बैंक कर्मी कंचन प्रभा


खगड़िया। 18 नवम्बर। केंद्र सरकार के नोटबंदीक फैसला सs देश में अफरा-तफरी क' माहौल अछि। बैंक सs लक एटीएम तक के आगा लंबा लाइन लागल अछि। ग्रामीण स्तरक बैंकक अधिकारी सs लक आरबीआई तक के पदाधिकारी आम जनताक़ परेशानि के दूर करे में लागल छैथ। एही सब स्थिति के बीच एक बैंक अधिकारी एहनो छैथ जिनकर सब तरफ चर्चा अछि। चर्चा एही कि बैंक में ड्यूटी पर आबि तs रहल छैथ लेकिन असगर नै बल्कि अपन सात माह के मासूम बच्चा क़ संग।  
बिहार कs खगड़िया इलाहाबाद बैंकक महिला कर्मी कंचन प्रभा नोटबंदी के एही दौर में मिसाल पेश करि रहल छैथ।  अपन दुधमुंहा बच्चा के संग बैंक आबैत छैथ आर आम जनता के नोट के बदल के काज करे के संगहै बैंकक आर दोसर काज में सेहो हिस्सा लाईट छैथ।  
बैंककर्मी कंचन प्रभा प्रतिदिन अपन सात माह क'  प्यारी बेटी पंखुड़ी के लक बैंक आबैत छैथ।  भीड़ से जूझैत छैथ आ अपन फर्ज क'  निभाबैत छैथ।  इलाहाबाद बैंक में काज  करे वाली कंचन प्रभा के कहब छैन कि एखन के स्थिति में बिना आराम केने देशक जनता कs सेवा करब ही परम धर्म अछि।   
कंचन कहलैन कि देश काला धन सs परेशान अछि , ओहि समय बैंक कर्मि जिम्मेदारी स अपनी भूमिका निभेबाक अछि। वो कहलैन कि देश आर समाजक सेवा के लेल सबुह 8 बजे सs ही बैंक अएबाक तैयारी में लागि जैत छैथ आ बैंक आबिक अपन दायित्व निभाबैत छैथ।  कंचन प्रभा बैंक में दूध आर सभ इंतजाम अपन बच्चा के लेल संग में आनैत छैथ ताकि बच्चा के कोनो तरहक परेशानी नै होए आर बीच-बीच में वो जखन ब्रेक होएत अछि तखन वो बच्चा के ख्याल करैत छैथ 
कंचन प्रभा खगड़िया में त हुनकर पति प्रभात कुमार मुंगेर में रहैत छैथ। कंचन के पति मुंगेर व्यवहार न्यायालय में एपीओ छैथ। प्रभात कुमार के सेहो अपन पत्नी क'  कर्मठता पर गर्व छैन।  
बैंकक शाखा प्रबंधक सुमन कुमार सिन्हा कहला कि कंचन एहन कर्मचारी पर हमरा गर्व अछि। हमसब हर संभव मदद दs रहल छी। इ वो समय अछि जखन हर बैंकर के अपना सबसs  निक काज के अंजाम देबाक अछि।  एही बैंक के दूसरो कर्मचारि के लेल प्रेरणादायी बात अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ