एक क्लिक म' नजदीकक ATM केँ स्टेटस पता करि, ATM म' नगदी अछि की नहि

 पटना। 18 नवम्बर। नोटबंदी केँ बाद एटीएम पर नगद टक्का निकालबाक लेल लोग सभक नमहर लाइन आय - कैल्ह चर्चा आर परेशानी केर सबब बानी गेल अछि। स्थिति एहेन अछि कि एटीएम सँ टक्का निकालब मुसीबत से कम नहि अछि। एटीएम म' पाई नहि होयबाक शिकायत आब अछि। ऐना म' एक वेबसाइट पर क्लिक करबा सँ लोग सभक परेशानि बहुत हद तक दूर भ' सकैत अछि।

वेबसाइट cashnocash.com पर क्लिक करि आसानी स' पता लगाओल जे सकैत अछि कि कुन इलाका के एटीएम म' नगदी अछि या नहि अछि।  दावा अछि कि एहि वेबसाइट पर भेटै बाला नब्बे फीसदी जानकारि सही अछि।  एहि वेबसाइट सँ एटीएम केर स्थिति जानबाक लेल महज इलाका केर पिन कोड डाले प्रीत अछि। ब्राउज़र म' cashnocash.com पर क्लिक कैरते  वेबसाइट खुजैत अछि आर पिन कोड डालबाक लेल कहल जायत अछि। पिन कोड डैलतें ओहि इलाका के तमाम बैंक सभक एटीएम केर  सूची आबैत अछि।

ऐहिक संगे कुन एटीएम म' नगदी अछि आर कुन म' नहि अछि इयो जानकारी बताओल जायत अछि। एटीएम म' नगदी नहि होयबाक  शिकायत केँ दौर म' ई वेबसाइट बहुत मददगार साबित भ' रहल अछि

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने