सहरसा : नाबालिग संग दुष्कर्म केर आरोपी गिरफ्तार

सहरसा। 18 नवम्बर। सिक्किम म' अप्पन नाबालिग नौकरानी संग दुष्कर्म के आरोपी सहरसा के हटिया गाछी निवासी गणेश साह क' सिक्किम पुलिस स्थानीय पुलिस केर मदद सँ कैल्ह गिरफ्तार केलन्हि। गणेश साह पिछ्ला डेढ़ मास सँ फरार छलाह।

अभियुक्त गणेश साह लगभग 6 बरख से सिक्किम के सोमवारे म' आभूषण केर दोकान करैत छल। ओ अप्पन कनियाँ आर दुइ बच्चा केर संग ओतहि रहैत छल। एहि बरख अगस्त म' अभियुक्त अप्पन घर सहरसा अएलाह आर घर म' काज करबाक लेल रूपा (काल्पनिक नाम) क' ल सिक्किम गेलाह।

सितम्बर म' अभियुक्त केर कनियाँ  इलाज करेबाक लेल अप्पन नैहर सिल्लीगुड़ी चल गेली आर दुइ माह नैहर म' रहली। एहि बीच अभियुक्त रूपा संग कैको बेर जबरन शारीरिक संबंध बनेलन्हि। जाहि सँ रूपा गर्भवती भ' गेलीह। ऐहिक जानकारी जखन रूपा अभियुक्त गणेश क' देली तेँ ओ दवाई खेबाक दवाब रूपा पर बनबे लागला। एहि क्रम म' अभियुक्त केर कनियाँ अप्पन नैहर सँ वापस आइब गेली, रूपा हुनका अप्पन आपबीती सभ बात कहलनि। इस विषय पर पति - पत्नी म' खूब झगड़ा भेलन्हि। गणेश रूपा क' सवेरे भाईग जेबाक लेल कहलनि।

रूपा 06.10.2016 दिन पुलिस स्टेशन पहुँच आपबीती बता उचित कार्यवाही करबाक  मांग केलन्हि। पुलिस धारा 376 एवं 6 पेसो एक्ट के तहत मामला दर्ज करि खोजबीन शुरू केलन्हि। एहि बातक भनक जखन  अभियुक्त क' लागलैन्ह तेँ ओ भागी के पस्तपार शिविर क्षेत्र के ढ़ाढ़ी गाम म' अप्पन संबंधी अनिल स्वर्णकार के घर म' रहे लागला।

सिक्किम पुलिस मोबाइल सर्विलांस सँ अभियुक्त केर  पता लगा कैल्ह हुनका गिरफ्तार केलन्हि। गिरफ्तारी के समय सिक्किम सँ आयल  सोमवारे थाना के प्रभारी अविनाश लामिधाने, प्रेम सृंग सेपर, रोहित कुमार गुरू एवं पस्तपार शिविर के एएसआइ अशोक कुमार मिश्र, हवलदार चन्द्रसेन प्रसाद सिंह, सिपाही उदय यादव, मोतीलाल सिंह, शशि कुमार एवं चौकीदार कलानन्द मौजूद छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ