साहित्यक पुरोधा डा. रमेश चंद्र वर्मा केर निधन



सहरसा।  साहित्यक पुरोधा डा. रमेश चंद्र वर्मा कs निधन 89 वरखाक आयु में चित्रगुप्त नगर (कायस्थ टोला) स्थित आवास पर भ गेलैन।  डॉ वर्मा सहरसा में अखिल भारतीय साहित्य परिषद्क' गठन करि साहित्य के गति देबे के साथ-साथ नवतुरीय के जोड़बाक काज कैला | भू. ना. मं विश्वविद्यालय के कुशल प्राध्यापक के रूप में सेहो हमेशा वो प्रदर्शित भेला। डॉ वर्मा कs प्रकाशित पुस्तक सेहो साहित्य के ऊर्जा प्रदान क़ रहल अछि। डॉ वर्मा द्वारा साहित्य में देल गेल योगदान हमेशा स्मरण रहत।  डॉ रमेश चन्द्र वर्मा विश्वविद्यालय प्रोफ़ेसर स्नाकोत्तर केंद्र सहरसा सs सेहो जुडल रहला।  संगैह राष्ट्रीय स्वयं सेवक संघ के सहरसा जिला के बौधिक प्रमुख एवं संघचालक सेहो छलाह। वो हिंदुस्तान समाचार के कोशी क्षेत्र कs प्रमुख सेहो रहल छलाह। आपतकाल के समय में जेलक' सजा सेहो झेलने छलाह।  

मिथिला दैनिक परिवार के तरफ सs  विनम्र श्रद्धांजलि

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ