'हर घर बिजली लगातार' कार्यक्रम केर शुभारम्भ

पटना। 16 नवम्बर। विकसित बिहार केँ सात निश्चय केर तहत 'हर घर बिजली लगातार' कार्यक्रम केर शुभारम्भ भेल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार  एहि अवसर पर 40.83 करो़ड़ लागत के कैको योजनाक शुभारम्भ संगहि  480 करोड़ लागत के योजनाक शिलान्यास केलन्हि।

कार्यक्रम म' उपस्थित उर्जा मंत्री विजेन्द्र यादव कहला कि ई योजना सरकार केर सभ सँ पैघ योजना अछि आर एहि योजनाक अन्तर्गत अगला दुइ बरख म' हर घर क' बिजली देबाक लक्ष्य पूरा क लेल जायत। उर्जा मंत्री कहला कि योजना केन्द्र केर सहयोगक बगैर पूरा कायल जे रहल अछि आर प्रोजेक्ट म' एडीबी केर सहयोग लेल गेल अछि।

ओतहि, उप मुख्यमंत्री तेजस्वी यादव कहला कि सरकार  एक बरख म' सात निश्चय क' पूरा करबाक लेल प्रतिबद्ध अछि। चुनाव के दौरान जनता सँ कायल गेल वादा लगातार पूरा भ' रहल अछि।

कार्यक्रम क' संबोधित करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला कि गाम म' विद्युतीकरण के काज अपेक्षा के अनुकूल नहि छल। सरकार  हर घर क' बिजली केँ कनेक्शन देबाक फैसला लेना अछि। बिहार क' केन्द्र सँ आवंटित बिजली सेहो नहि भेटैत अछि। राज्य म' बिजलीक खपत औसतन 258 यूनिट अछि। मुख्यमंत्री कहला कि 20 नवम्बर 2016 क' सरकार रिपोर्ट कार्ड जारी करत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ