सहरसा : विदेशी शराब संग एक ​गिरफ्तार

सहरसा। 16 नवम्बर। शहर केँ कचहरी स्थित बोरा विक्रेता केर दोकान सँ  विभिन्न ब्रांड के विदेशी शराब संग पुलिस एक क' गिरफ्तार करबा म' सफलता प्राप्त केलन्हि।

गुप्त सूचना केर आधार पर पुलिस सदर थाना क्षेत्र के रैक प्वाइंट लग बोरापट्टी म' एक बोरा विक्रेता केर दोकान म' छापा मारी ग्यारह स्कूल बैग म' राखल विदेशी शराब बरामद केलन्हि। बच्चा सभक स्कूल बैग म' शराब एहिलेल राखल गेल छल ताकि किनको कुनु शक नहि होयन।  छापामारी म' आरएस 750 एमएल केँ 73 बोतल, आईबी 750 एमएल केँ 16 बोतल, सिग्नेचर 180 एमएल केँ 34 बोतल बरामद बरामद कायल गेल अछि।

सदर एसडीपीओ सुबोध कुमार विश्वास कहला कि शराब के संग नरेश भगत क' पुलिस गिरफ्तार केना अछि। पुलिस के द्वारा लगातार अवैध रूप सँ शराब के कारोबार करै बला लोग सभ पर नजरि राखल जे रहल अछि।  छापामारी टीम म' सदर थाना अध्यक्ष भाई भरत कुमार, एसआई नितेश, देवनंदन गिरी सहित आन पुलिसकर्मी शामिल छलाह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ