मिथिला पेंटिंग आर सिकी कला केँ कारण इंटरनेशनल ट्रेड फेयर म' बिहार क' तेसर बेर भेटल गोल्ड मेडल
दिल्ली। 28 नवम्बर। बिहार केँ परचम एक बेर फेर लहराओल। मिथिलांचल केँ विश्वप्रसिद्ध हस्तशिल्प के दुइ विधा मिथिला पेंटिंग आर सिकी कला बिहारक सीना गर्व सँ चौड़ा क' देलन्हि। दिल्ली केँ प्रगति मैदान म' चैल रहल इंटरनेशनल ट्रेड फेयर म' बिहार मंडप क' गोल्ड मेडल सँ नवाजल जेल अछि।
दिल्ली केँ प्रगति मैदान म' चैल रहल अंतरराष्ट्रीय व्यापार मेला म' लगातार तेसर बेर बिहार मंडप क' सर्वश्रेष्ठ आंका गेल अछि। बिहार मंडप क' राज्य केँ हस्तशिल्प सँ सुन्नर जोका सजेबाक आर व्यवस्थित आयोजक लेल गोल्ड मेडल भेटल। इ सम्मान मिथिलांचल केँ हस्तशिल्प के दुइ विधा मिथिला पेंटिंग आर सिकी कला दियौलन्हि।
अंतरराष्ट्रीय व्यापार मेला म' देश भरिक सभ राज्य केर अप्पन मंडप क' नीक बनेकबाक होड़ के बीच बिहार मंडप कैको कारण सँ आगंतुक सभक आकर्षण केर केन्द्र बनल रहल। बिहार पवेलियन केँ सीकी आर्ट, स्टोन आर्ट, टेराकोटा केँ लाइव डेमो आकर्षण केँ केन्द्र बनल रहल। ‘डिजिटल इंडिया’ के थीम पर बनल बिहार पवेलियन मेला म' आबै बला लोग क' अप्पन भव्यता सँ आकर्षित करैत छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।