दरभंगा। 24 नवम्बर। राष्ट्रीय संस्कृत संस्थान केर तत्वावधान म' बिहार - झारखण्ड राज्य स्तरीय शास्त्रीय स्पर्धा 2016 -17 कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय केर दरबार हॉल म' कैल्ह शुक्रवार सँ शुरू होमे जे रहल अछि जे शनिवार धरी चलत।
कार्यक्रम केर उद्घाटन विवि केर कुलपति डॉ. नीलिमा सिन्हा 11 बजे करती।
एहि आयोजन केर संयोजक सह अध्यक्ष छात्र कल्याण डॉ. श्रीपति त्रिपाठी कहला कि स्पर्धा लेल सभ तैयारी भ' गेल अछि। ओतहि आयोजन सँ प्रतिभागि सभ म' बहुत उत्साह देखल गेल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।