सुप्रीम कोर्ट जगन्नाथ मिश्रा सँ कहलनि जबाब दी नहि तेँ बाद म' मौका नहि भेटत

नई दिल्ली। 24 नवम्बर। बिहार म' चारा घोटाला मामला पर सुनवाई करैत सुप्रीम कोर्ट एहि म' आरोपी आर बिहार केँ पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्रा केर खिंचाई केलन्हि। जगन्नाथ मिश्रा एहि मामला पर बुधवार दिन सुनवाई स्थगित करबे चाहैत छलाह किएकजे ओ सीबीआई द्वारा दायर याचिका पर एखन धरी कुनु जवाब नहि देना छैथ। जाहि पर कोर्ट केर जबाब भेटल कि सुनवाई टारबाक अहाँक दलील सँ कोर्ट सहमत नहि अछि।

जस्टिस जेएस खेहर केर अध्यक्षता बला बेंच मिश्रा क' कहलनि कि कोइट अहाँक हलफनामा सेहो देखना अछि आर ओहि पर पिछला बीस बरख सँ काज के रहल अछि। जस्टिस खेहर कहलनि कि अहाँ बेर - बेर सुनवाई टारबाक मांग करैत छी आर फेर कहैत छी कि अदालत म' बहुत केस लंबित अछि। जगन्नाथ मिश्रा सँ कहल गेलन्हि कि चारि सप्ताह म' अप्पन जवाब पेश करि ओहिक बाद अहाँक क' जबाब पेश करबाक मौका नहि देल जायत।

अपने क' बता दी चारा घोटाला मामला म' आरजेडी प्रमुख लालू यादव आर अन्य पर से किछ धारा हटेबाक खिलाफ दायर याचिका पर सुप्रीम कोर्ट सुनवाई करैत छल। दरअसल, झारखंड हाईकोर्ट नवम्बर 2014 म' लालू यादव क' राहत दैत हुनका ऊपर लागल घोटाला केर साजिश रचबाक आरोप हटा देना छल। हाईकोर्ट कहलनि कि एकहि अपराध लेल किनको दुइ बेर सजा नहि देल जे सकैत अछि। लालू यादव केँ खिलाफ आईपीसी केर दुइ आन धारा केर तहत मुकदमा जारी रहत। सीबीआई एहि फैसला केँ  आठ महीना बाद झारखंड हाईकोर्ट के फैसला क' सुप्रीम कोर्ट म' चुनौती देलन्हि। करीब 950 करोड़ केँ चारा घोटाला केँ केस म' लालू प्रसाद यादव के अलावा बिहार के पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्रा, जनता दल युनाईटेड पूर्व सांसद जगदीश शर्मा समेत 45 आरोपी छैथ। हिनका सभ पर चाईबासा कोषागार सँ 37.7 करोड़ टक्का केर अवैध निकासी केँ आरोप छैन्ह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ