बिहार केँ 5708 शिक्षक दक्षता परीक्षा म' फेल

पटना। 24 नवम्बर। बिहार म' प्रारंभिक स्कूल केर नियोजित शिक्षक सभ केँ भेल दक्षता परीक्षा केर रिजल्ट जारी भ' गेल अछि। एहि म' 5708 (20%) शिक्षक फेल भ' गेल छैथ। 19 जुलाई क' भेल एहि परीक्षा म' 28910 शिक्षक शामिल भेल छल, जाहिमें 23202 पास भेल।

एससीइआरटी केर निर्देशक संजीवन सिन्हा कहल कि दक्षता परीक्षा केर रिजल्ट वेबसाइट पर जारी क' देल गेल अछि।  

शिक्षक रोल नंबर के संग रिजल्ट व उत्तर पुस्तिका देख सकैत छैथ। संजीवन सिन्हा कहला कि प्रश्नपत्र म' किछ त्रुटि व अशुद्धि केर कारण सँ किछ प्रश्न क' हटा देल गेल अछि, जाहिसँ पूर्णांक क' कम क देल गेल अछि। उर्दू विषय के लेल 100 केँ जगह 90, शारीरिक शिक्षा के लेल 95 आर आन विषय सभक लेल 93 पूर्णांक राखल गेल छल। ऐहिकें आधार मानी 45% अंक आनेवला सामान्य वर्ग केर शिक्षक आर 40% अंक आनेवला अारक्षित कोटा केर अभ्यार्थी सभ क' कायल गेल छैन्ह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ