बनगाँव केँ युवा लोकनि दिवाली क' केलन्हि भारतीय सेना क' समर्पित

सहरसा। 01 नवम्बर। सहरसा जिला केँ बनगाँव गाम म' गामक बुद्धिजीवी विचार मंच आर युवा लोकनि द्वारा दिवाली केँ साँझ भारतीय सेना क' समर्पित “एक दीया भारतीय सेना के नाम” कार्यक्रम केर आयोजन भेल। एहि मौक़ा पर शहीद रमन स्मारक बनगाँव चौक, कलावती मैदान पर 501 दीप जलाओल गेल। कार्यक्रम म' उपस्थित लोग सभ कहलनि कि  सेना केर बदौलत हम सभ सकुशल अप्पन घर म' दिवाली मना पाबैत छी, एहि लेल इ हमरा सभक दायित्व एवं कर्तव्य बनैत अछि।

एहि कार्यक्रम म' बनगाँव केँ दुनु पंचायतक मुखिया प्रतिनिधि  विनोद झा, भगवान झा ,बुद्धिजीवी विचार मंच केँ अध्यक्ष विश्वनाथ खाँ, सचिव शशिधर ठाकुर, राहुल कुमार बिल्टू, गोपाल झा, मिहिर झा, राहुल झा, उज्वल ठाकुर, सोनू खाँ सहित बहुत रास ग्रामीण उपस्थित छलाह। ओतहि  महिषी केँ उग्रतारा मंदिर परिसर म' सेहो दीप सँ भारतक नक्शा बना भारतीय सेना के शहीद सभ क' नमन कायल गेल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने