एक गाम जते छात्र सभ क' उत्साहित करबाक लेल एक सँ एक आयोजन कायल जायत अछि

सहरसा। 01 नवम्बर। सहरसा जिला केँ नीलकंठ धाम चैनपुर गाम म' शिक्षा के दिशा म' सदिखन एक सँ एक डेग उठाओल जायत अछि। एहि कड़ी म' पुरनका काली मंदिर परिसर म' कैल्ह सांझ एक कार्यक्रम केर दौरान किछ छात्र "जे एहि बरख मैट्रिक परीक्षा म' चैनपुर के टॉपर 1, 2, 3  रहल छला" सभ क' श्री निरजन ठाकुर जीक द्वारा पृस्कृत कायल गेलन्हि, संगहि एक गरीब छात्र क' हरेक मास पढ़बाक लेल हर तरहक सहयोग करबाक आश्वासन देल गेलन्हि।

चैनपुर गाम म' स्थानीय ग्रामीण लोकनिक द्वारा एहि तरहक आयोजन जता एक तरफ सराहनीय अछि ओतहि दोसर तरफ एहि तरहक आयोजन सँ छात्र सभक मनोबल सेहो बढ़ैत अछि। एहि तरहक आयोजन म' मुख्यरूपे चैनपुर के युवा समाज सेवी दीपनारायण ठाकुर, उज्वल ठाकुर, राजेश जी संग कैको बुद्धिजीवी आर युवावर्ग सदिखन तत्पर्य रहैत छैथ। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ