आंगनबाड़ी केंद्र लेल जल्दे होयत 46000 सेविका आर सहायिका केर नियुक्ति

पटना। 02 नवम्बर। बिहार के 23 हजार 41 आंगनबाड़ी केंद्र म' सहायिका व सेविका सभक नियुक्ति होमै बला अछि। प्रति आंगनबाड़ी केंद्र म' एक सहायिका आर एक सेविका केर नियुक्ति होयत। एहि प्रकारे कुल 46 हजार 82 आंगनबाड़ी सहायिका आर सेविका सभक नियुक्ति कायल जायत।

केंद्रीय महिला एवं बाल विकास मंत्रालय, भारत सरकार, बिहार सरकार द्वारा नव आंगनबाड़ी केंद्र स्थापित करबाक प्रस्ताव क' मंजूरी द देना अछि। समाज कल्याण विभाग केँ तहत संचालित समेकित बाल विकास परियोजना (आईसीडीएस) निदेशालय के आधिकारिक सूत्र बतौलनि कि जल्दिये नव आंगनबाड़ी केंद्र लेल नियुक्ति प्रक्रिया शुरू होयत।

राज्य सरकार द्वारा लागू नव नियम केर अनुसार सहायिका एवं सेविका सभक नियुक्ति कायल जायत। एहिमेँ आंगनबाड़ी परियोजना क्षेत्र के बाल विकास परियोजना पदाधिकारी (सीडीपीओ) केर हस्तक्षेप नहि होयत।

नव नियम केर अनुसार स्थानीय वार्ड सदस्य केर अध्यक्षता म' तीन सदस्यीय कमेटी होयत। जाहिमेँ पंच आर क्षेत्रीय महिला पर्यवेक्षिका शामिल होयत। हिनका द्वारा चयनित उम्मीदवार क' जिला स्तरीय कमेटी केँ द्वारा नियुक्त कायल जायत। जिला स्तरीय कमेटी केर अध्यक्ष जिलाधिकारी होयत।

सेविका क' 3000 टक्का प्रतिमाह आर सहायिका क' 1500 टक्का  प्रतिमाह भुगतान कायल जायत। जिलाधिकारी द्वारा नियुक्ति लेल  विज्ञापन जारी होयत आर नियुक्ति लेल आवेदन परियोजना कार्यालय म' जमा कराओल जायत।


एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ