मिथिला समागम, मिथिला केँ भौतिक विकास लेल, मैथिल केँ मान सम्मान केँ लेल, मिथिला क' भारतक राज्यक नक्शा म' स्थान केँ लेल, मिथिला राज्य केँ निर्माण हो ताहि लेल मात्र राजनैतिक मंच अछि। मिथिला समागम, मिथिला राज्य अभियानी केँ बीच एकता, भाईचारा, सद्भावना, भावनात्मक एकता आपसी सहयोग केँ लेल संकल्पित अछि।
मिथिला राज्यक माँग, मिथिलाक समग्र विकास आ मैथिल जनमानस म' राजनैतिक जनचेतनाक प्रसार केर अन्तिम उपलब्धिक वास्ते अलग -अलग समूह म' बँटल आन्दोलनी केँ एकजुट करबाक पुण्य विचार सँ आयोजित मिथिला समागम केँ उद्देश्य एकर 13 सूत्री प्रसताव सँ सर्वविदित अछि।
मिथिला राज्य लेल प्रतिबद्ध सभ संगठन सँ हटि केँ मिथिला समागम केर उद्देश्य पर एक नज़री देल जाऊ;
मिथिला समागम के प्रस्ताव ---
(१) - मिथिला समागम वर्तमान बिहार केँ 24 जिला आ झारखंड केँ 6 जिला कुल 30 जिला क' मिथिला राज्य घोषित करैत अछि।
(२) - मिथिला समागम कोनो संस्था नहि एक मंच थीक आ मंचे रहत, नव संस्था नहि बनत। ई मंच सब मिथिला मैथिल संगठन क' एक सूत्र म' बांधि मिथिला राज्य अभियानक लेल जन चेतना करत।
(३) - मिथिला समागम ओहि दलक नेता के जे मिथिला राज्य क' अपन घोषणा पत्र म' स्वीकार नहि करैत अछि तिनका संपर्क कय समझेबाक बूझेबाक प्रयास करत यदि तकर बादो ओ नेता मिथिला राज्य केर समर्थन नहि करता एहेन नेता के मिथिला म' वहिष्कार करत।
(४) - मिथिला समागम एहेन नेता के चाहे ओ मंन्त्री हो या प्रधानमंत्री जकर पार्टीक घोषणा पत्र म' मिथिला राज्य नहि, मिथिला राज्य अभियानक मंच पर स्वागत नहि करत ।
(५) - मिथिला समागम अपन सभ कार्यक्रम मिथिले के पावन भूमि पर करत।
(६) - मिथिला राज्य अभियानी मिडिया फोटो अखबार पंप आ शो के लेल व्यग्र नहि रहता। आन्दोलन करता मिडिया अपने आप समाचार छापय एहेन आन्दोलन करता।
(७) - अनेको व्यक्ति मिथिला मैथिल मिथिला राज्य आन्दोलनक नाम पर कोनो ने कोनो मिथिलाबाद विरोधी दलक राजनीति कय रहल छथि। मिथिला समागम मंच एहेन व्यक्ति सँ मिथिला हित म' काज करय लेल निवेदन करैत अपन दोहरा चरित्र क' समाप्त करक लेल निवेदन करैत अछि।
(८) - मिथिला समागम के सब कार्यक्रम सादगी सँ होयत। जतय कम सँ कम खर्च पर समागम होयत।
(९) - मिथिला समागम चंदा केर धंधा नहि करत।
(१०) - मिथिला समागम म' शामिल सब संगठन अपना के मजबूत करत जनता सँ जूड़त आ मिथिला राज्य अभियान क' लोक प्रिय बनाओत।
(११) - समागम जाति धर्म मजहवी भाषायी उन्माद सँ मिथिला क' मुक्त करैक जनचेतना अभियान करत आ मिथिलावासी एकता मिथिलाबाद के स्थापित करत।
(१२) - समागम अंगिका, वज्जिका,जूलही आ अन्य बोली जे मिथिला के तीसो जिला मे बाजल जाईत अछि से मैथिली अछि आ मैथिली पुस्तक साहित्य एकादमी पटना मे सब के मैथिली भाषा के पोथी मानत।
(१३) - मिथिला विकास आर मिथिला राज्य आन्दोलन मिथिला के सत्ता द्वारा उपेक्षा के विरुद्ध संघर्ष अछि आ एक दोसर के पूरक अछि । अत: समागम मे शामिल विकास आर राज्य आंदोलनी एक दोसर केर समर्थन करत, आलोचना नहि करत।
अपने केँ ज्ञात हो कि श्री उमाकान्त झा 'बक्शी' केर नेतृत्व म' पहिल मिथिला समागम समारोह केर आयोजन
29- 30 अगस्त 2015 क' मधुवनी म' भेल छल। जाहि समागम म' 18 सँ 20 गोट समाजीक संस्था केर प्रतिनिधि, दुइ टा राजनीतिक पार्टी केर प्रतिनिधि सहित बहुतो रास मैथिल अभियानी लोकनि उपस्थित भेल छलाह।
पिछला मिथिला समागम क' एक उपलब्धि भेटल छल जाहिक तहत 2015 केँ विधानसभा चुनाव म' अखिल भारतीय मिथिला पार्टी आ श्री धनाकर ठाकुर जी केर आदर्श मिथिला पार्टी केँ तत्काल गठबंधन भेल छल। पिछला समागम केँ सहभागी सभ समाजिक संस्था एहि दुनू पार्टी केर गठबंधन द्वारा उतारल गेल उम्मीदवार केँ तन, मन आ धन सँ सहयोग करबाक सहमति देना छलाह।
आऊ सभ मिल मिथिलाक समग्र विकास आ अलग मिथिला राज्य लेल एहि मुहीम म' अप्पन सहभागिता सुनिश्चित करैत दोसर 'मिथिला समागम समारोह' क' सफल बनाबी।
समागम सँ सम्बंधित कुनु तरहक जानकी लेल संपर्क करि:
श्री उमाकान्त झा 'बक्शी' - 9830365506
श्री कमलेश झा - 9304696537
श्री उदयशंकर मिश्र - 9709633096
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।