एहि संबंध म' कैल्ह बुधवार दिन पटना हाईकोर्ट के जस्टिस नवनीत प्रसाद सिंह अप्पन फैसला म' बिहार सरकार क' 34000 प्राइमरी शिक्षक सभक नियुक्ति प्रक्रिया अगला 6 महीना म' पूरा करबाक आदेश देलन्हि। पिछला बरख हाईकोर्ट केँ आदेश पर फर्जी शिक्षक सभक नियुक्ति रद्द भेला सँ खाली भेल सीट पर बहाली करबाक आदेश आयल अछि।
अपने क' बता दी कि पिछ्ला बरख फर्जी प्रमाणपत्र पर पैघ संख्या म' टीइटी पास शिक्षक सभक नियुक्ति केर मामला सामना आयल छल। ऐहिक बाद कोर्ट एक आदेश पर एहेन सभ फर्जी शिक्षक क' स्वेच्छा सँ अप्पन इस्तीफा देबाक लेल कहने छल। एहि आदेश के बाद हजारों केर संख्या म' एहेन लोग खुद अप्पन नौकरी सँ इस्तीफा देना छलाह।
1 टिप्पणियाँ
bedauli team ke dura hardik manglmaye subhkamna achi. nav barsh
जवाब देंहटाएंमिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।