सहरसा : कारबाईन, मैगजीन आ जिन्दा कारतूस संग दुई अपराधि गिरफ्तार

सहरसा। 20 अक्टूबर। सदर पुलिस एक कारबाईन, दुइ मैगजीन आर 35 जिन्दा कारतूस संग दुइ अपराधि क' गिरफ्तार करि जेल भेज देलन्हि।

सहायक अवर निरीक्षक नितेश कुमार आर कमलेश सिंह दुइ संदिग्ध क' मोटरसाइकिल सँ जायत देखि हुनका रोकलन्हि, दुनु केँ तलाशी लेला पर हुनका सभक लग सँ दुई मैगजीन, 35 कारतूस आर एक कारबाईन बरामद भेल। पुलिस मोटरसाइकिल सवार रवि तिवारी आर सनी मिश्र क' गिरफ्तार करि जेल भेज देलन्हि।

मुख्यालय डीएसपी रश्मि जी कहली कि मंगलवार केँ मुखिया मुकेश झा आर मुखिया प्रत्याशी संजय तांती के बीच गोलीबारी केर घटना म' मुखिया समर्थक बासुकी पांडेय क' गोली लागल छलनी। बासुकी पूर्व सँ कांड संख्या 693/16 केर अभियुक्त छैथ। पुलिस हुनका हिरासत म' ल चुकल अछि।  ऐहिक बाद पुलिस रंगदारी मांगबाक मामला म' पूर्व अभियुक्त मुकेश शर्मा क' हुनकर घर सँ छापामारी के दौरान गिरफ्तार केलन्हि। एहि कार्रवाई म' पैंथर जवान कारु सिंह, सिपाही सुमन कुमार, जीतेन्द्र शुक्ल, सुडिस्ट सुमन आदि शामिल छलाह। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने