बारामूला म' आर्मी कैंप पर हमला, दुइ आतंकी ढेर, बीएसएफ केँ एक जवान शहीद

श्रीनगर। 03 अक्टूबर। जम्मू-कश्मीर के बारामूला म' कैल्ह रविवार दिन  देर राति आतंकवादी सभ राष्ट्रीय राइफल्स (RR) केर कैंप पर हमला केलनि। सुचना केर मुताबिक, आतंकवादी सभक दुइ ग्रुप सेना केर कैंप पर हमला केना छल।

आतंकवादी 46 RR कैंप केर नजदीक पार्क के जरिया कैंप म' घुसबाक कोशिश कयलनि। ओतहि नजदीक म' बीएसएफ केँ कैंप सेहो छल। सेना आर बीएसएफ मुठभेड़ म' दुइ आतंकवादी क' माइर गिरेलन्हि। एहि मुठभेड़ म' बीएसएफ केर सेहो एक ​कॉन्स्टेबल शहीद भेलाह।

एहि केर अलावा बीएसएफ के एक आर सेना के तीन जवान सेहो घायल भेल छल। सेना सँ प्राप्त जानकारीक केर मुताबिक़ हालात काबू म' अछि। आय सोमवार दिन भोर म' ऑपरेशन खत्म भ' गेल, जाहि केर बाद इलाका म' सर्च ऑपरेशन चलाओल जे रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ