सहरसा : ऐतिहासिक 'श्री उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव' कैल्ह सँ शुरू भेल

सहरसा। 03 अक्टूबर। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आर पर्यटन विभाग, बिहार सरकार केँ पहल सँ सहरसा जिलाक महिषी गाम मेँ शुरू कायल  गेलत्रिदिवसीय उग्रतारा महोत्सव एहि बरख 2 अक्तूबर सेँ 4 अक्तूबर धरी मनाओल जे रहल अछि।

कोसी क्षेत्र केँ सांस्कृतिक व धार्मिक विशिष्टता क' पर्यटन केँ मानचित्र पर स्थापित करबाक उद्देश्य सँ महिषी केँ उग्रतारा धाम म' पिछला चारि बरख सँ नवरात्रि केँ मौका पर श्री उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव केँ आयोजन निरंतर भ' रहल अछि।

एहि बरख श्री उग्रतारा महोत्सव केर रंगारंग शुरुआत कैल्ह रविवार दिन शुरू भेल। कोसी आयुक्त श्री कुंवर जंग बहादुर  श्री उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव केँ दीप प्रज्वलित करि उद्घाटन केलन्हि। श्री कुंवर जंग बहादु कहला कि आंचलिक संस्कृति क' परिभाषित करबाक सभ सँ नीक  माध्यम इ महोत्सव अछि।  भारत केँ संस्कृति केर बखान करैत ओ कहला  कि विश्व क' शांति व सद्दभाव केर संदेश देब भारत केर यूएसपी अछि।  हर युग म' भारतीय संस्कृति खुद क' पुनर्जीवित केलन्हि। इये कारण अछि  कि आइयो ऋग्वेद के मंत्र ओतबे प्रासंगिक अछि। कोसी आयुक्त कुंवर जंग बहादुर कहला कि परंपरा सँ क्षेत्र केर पहचान अछि।

कैल्ह महिषी स्थित राजकमल क्रीड़ा मैदान म' त्रिदिवसीय श्री उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव केर उद्घाटनक मौका पर स्थानीय संस्था स्वरांजलि के कलाकार लोकनि एक सँ बढ़ी क' एक नृत्य व गीत प्रस्तुत केलन्हि।  महोत्सव के तेसर दिन प्रख्यात भजन गायक अनूप जलोटा केर प्रस्तुति अछि। ऐहिक अलावा दोदर दिन यानी आय लोक गायक सुरेंद्र यादव केँ संगे संग स्थानीय कलाकार सभक प्रस्तुति होयत।

एहि मौका पर डीएम विनोद सिंह गुंजियाल, डीडीसी दारोगा प्रसाद, एसपी अश्वनी कुमार, जिप अध्यक्ष अरहुल देवी, उपाध्यक्ष छत्री यादव, जदयू जिलाध्यक्ष धनिक लाल मुखिया, एसडीओ जहांगीर आलम, एसडीपीओ सुबोध विश्वास, पयर्टन विभाग के जीवन ज्योति सहित, न्यास के उपाध्यक्ष प्रमील मिश्रा, सचिव पियुष रंजन सहित अन्य उपस्थित छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ