ब्राह्मण महासभा सुपौल द्वारा परिचर्चा केर आयोजन

सुपौल। 17 अक्टूबर। ब्राह्मण महासभा सुपौल द्वारा स्थानीय व्यापार क्लब सभा कक्ष म' एक परिचर्चा केर आयोजन कायल गेल। श्री गोविन्द झा केर  अध्यक्षता एवं श्री मनोज पाठक केर संचालन म' आयोजित एहि परिचर्चा म' उपस्थित बुद्धिजीवि लोकनि द्वारा समाज के वर्तमान राजनितिक, समाजिक एवं आर्थिक स्थिति पर विस्तृत चर्चा कायल गेल।

परिचर्चा म' उपस्थित भाजपा विधायक संजीव झा कहला कि अतीते सँ समाज निर्माण म' योगदान के ब्राह्मण समाजक अपना इतिहास रहा अछि। हम अप्पन बुद्धि, वैभव एवं कौशल क्षमता केर बल पर हमेशा सँ समाज के सभ क्षेत्र म' अप्पन मजबूत योगदान प्रदान करैत छी। हम ऋषि - मुनि के संतान छी। आय हम्मर स्थिति समाज म' अत्यंत कमजोर भ गेल अछि। आय जरुरत अछि की हम एकजुट भ' आपसी भेद-भाव केर परित्याग करि अप्पन अधिकार आर उचित राजनितिक हिस्सेदारी के लेल संगठित आंदोलन करि।

महासभा द्वारा आगामी नवंबर माह म' कवि कोकिल विद्यापति केर जयंती के अवसर पर एक भव्य विद्यापति पर्व समारोह मनेबाक निर्णय लेल गेल।  इस दौरान बीजेपी के निवर्तमान जिला अध्यक्ष श्री नागेन्द्र ना. ठाकुर, वरीय अधिवक्ता बिरेन्द्र झा बच्चन, सुधीर झा, मनोज झा, गिरीश चन्द्र ठाकुर, रणधीर ठाकुर, बिनोद कान्त झा, महेन्द्र पाठक, पंकज पाठक, पंकज ठाकुर, प्रकाश झा, बचनेश्वर झा, छात्र नेता सुमन झा, भगवान जी पाठक सहित कैको गणमान्य उपस्थित छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ