बिना अर्थ जीवन व्यर्थ : डॉ. शंभूशरण सिंह

सहरसा। 17 अक्टूबर। कैल्ह रविवार दिन रमेश झा महिला महाविद्यालय व एमएलटी कॉलेज केर संयुक्त तत्वावधान म' महाविद्यालय प्राचार्य डॉ.केपी यादव केर अध्यक्षता म' सत्र जुलाई 2016 म' नामांकित छात्र -छात्रा सभक लेल परिचय सत्र केर आयोजन कायल गेल।

कार्यक्रम क' संबोधित करैत मुख्य अतिथि सह इग्नू क्षेत्रीय निदेशक डॉ शंभूशरण सिंह कहला कि  गुरूदेव रविंद्रनाथ टैगोर जखन मृत्यु शैय्या पर छलाह तेँ हुनक आँखि सँ नोर बहैत छलैन। इ देखि लग मेँ ठाढ़ मूर्तिकार एहि केँ कारण पुछलन्हि कहला कि इश्वर केँ ज्ञानरूपी सागर सँ हमरा बस  बाल्टी भरी ज्ञान हासिल भ' सकल एहि केर अफसोस अछि।

डॉ शंभूशरण सिंह छात्र सभ क' लक्ष्य केर अनुरूप काज करबाक सलाह देलन्हि। बिना अर्थ व काज केँ जीवन व्यर्थ अछि, संगहि धर्म व मोक्ष क' नै  बिसरबाक चाहि। आगा ओ कहला कि शिक्षा केँ आरंभ उपनिषद काल सँ भेल छल, जता गुरूजन अपना क' ब्रह्म आर छात्र सभ क' सेहो  ब्रह्म केर  संज्ञा देलन्हि। शिक्षा केर मूल उद्देश्य स्वयं केर प्रकाश सँ जग क' प्रकाशित करब अछि आर स्वयं क' जागृत करि जीवन म' सफल होयबाक अछि।

कार्यक्रम केर अध्यक्षता करैत प्राचार्य डॉ श्री यादव  महाविद्यालय केर  इग्नू केंद्र पर छात्र-छात्रा सभ क' भेटै बला सुविधा व इग्नू के काजक  विस्तार सँ जानकारी देलन्हि। एमएलटी कॉलेज अध्ययन केंद्र के समन्वयक डॉ. शिशिर कुमार सिंह  इग्नू केर चर्चा करैत कहला कि इग्नू केर शिक्षण पद्धति परम्परागत विश्वविद्यालय केर शिक्षण पद्धति सँ अलग अछि।

एहि मौका पर एसएनएस कॉलेज प्राचार्य डॉ केएस ओझा, रमेश झा महिला कॉलेज की प्राचर्या डॉ रेणु सिंह, बीएड कॉलेज के प्राचार्य डॉ राणा जयराम सिंह, डॉ ज्योतिवर्धन, डॉ राजकुमार सिंह, डॉ डीएन साह, डॉ अनमोल झा, डॉ एके ठाकुर, डॉ सुशील कुमार, डॉ सुप्रिया सिन्हा आदि उपस्थित छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ