सहरसा : चप्पल व्यवसायी सरदार स्वर्ण सिंह सँ दस लाख रंगदारी केँ मांग

सहरसा। 17 अक्टूबर। जिला मुख्यालय स्थित गुरूद्वारा केँ सचिव व चप्पल के थोक विक्रेता सरदार स्वर्ण सिंह सँ अपराधि सभ द्वारा मोबाइल पर दस लाख टक्का केर रंगदारी मांगला पर व्यापारी समुदाय दहशत म' छैथ। एहि सँ पहिने दिल्ली पब्लिक स्कूल केँ अध्यक्ष जफर पयामी सँ सेहो  एक लाख टक्का रंगदारी मांगल जे चुकल अछि।

रौशन यादव नामक अपराधी कैल्ह रविवार क' मोबाइल नंबर 9546908187 से व्यवसायी स्वर्ण सिंह क' कॉल एवं एसएमएस करि कहलनि कि हम्मर आदमी जायत, अहाँ हुनका दस लाख टक्का द' देब। ध्यान राखब पुलिस क' खबर करबाक कोशिस जून करब। हम बेसी बाजैत नै छी, जे बाजैत छी ओ करैत छी। नै तेँ कफन तैयार राखब। एहि घटना सँ पहिने दिल्ली पब्लिक स्कूल केँ डायरेक्टर स' रौशन यादव रंगदारी मैंग चुकल छैथ। दुनु पीड़ित टाउन थाना म' लिखित सूचना द' अपराधि सभ  पर कारवाई करबाक संगे संग जान माल केर सुरक्षा केँ मांग केलन्हि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ