शहाबुद्दीन केँ रिहाई लेल नीतीश-लालू केँ विरूद्ध दरभंगा म' प्रदर्शन

दरभंगा। 17 अक्टूबर। ऑल इण्डिया मुस्लिम बेदारी कारवां केर तत्वावधान म' सीवान केँ बाहुवली नेता सह राजद के पूर्व सांसद मो. शहाबुद्दीन केर रिहाई के समर्थन म' एक विशाल जुलूस निकालल गेल जाहि मेँ अल्पसंख्यक समुदाय के हजारों लोग बढ़ी चढ़ी केँ भाग लेलन्हि आर मो. शहाबुद्दीन क' बिना शर्त रिहाई लेल लालू-नीतीश के विरोध म' जैमकेँ नारेबाजी कायल गेल।

जाहि संदर्भ म' ऑल इण्डिया मुस्लिम बेदारी कारवां केँ राष्ट्रीय अध्यक्ष नजरे आलम मो. शहाबुद्दीन केर गिरफ्तारी क' अल्पसंख्यक राजनीति क' कमजोर करबाक साजिश करार दैत नीतीश सरकार क' चेतावनी देलन्हि कि यदि मो. शहाबुद्दीन केँ रिहाई शीघ्रातिशीघ्र नै कायल गेल तेँ आगामी 30 अक्टूवर क' पटना के गांधी म' सरकार केर विरोध म' प्रदर्शन कायल जायत, संगहि प्रदेश केँ अल्पसंख्यक समाज आगामी आम चुनाव म' एहि  गठबंधन क' उखाईड़ फेकबाक लेल जी-जान सँ जुटी जायत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ