दिल्ली – सहरसा पूरबिया एक्सप्रेस ट्रेन सँ भारी मात्रा म' अंग्रेजी शराब बरामद

सहरसा। 06 अक्टूबर। गुप्त सूचना भेटला पैट उत्पाद अधीक्षक रजनीश कुमार केर नेतृत्व म' सहरसा स्टेशन पर कायल गेल छापामारी म'  दिल्ली–सहरसा पूरबिया एक्सप्रेस ट्रेन सँ 72 बोतल अंग्रेजी शराब केर संग  पश्चिम बंगाल केँ मालदाह जिलाक एक तस्कर अभिजीत घोष क' गिरफ्तार कायल गेल अछि। गिरफ्तार तस्कर कहला की ओ सहरसा के संजय भगत आर रिकी भगत के लेल शराब तस्करी केँ काज करैत छाला।

एहि सँ पहिनो दुइ - तीन बेर शराबक खेप आनी हुनका सभ क' देना छैथ।  एहि काजक बदला म' अभिजीत घोष क' खाना-पीना के अलावा लगभग 15 सौ टक्का भेटैत छलैन्ह, अभिजीत पहिने कूरियर के काज करैत छलाह। अभिजीत घोष केर संबंध हाजीपुर के एक शराब कारोबारी सँ सेहो छल। हाजीपुर के  कारोबारी तक पहुँचबाक लेल पूलिस अभिजीत घोष सँ पूछ ताछ क' अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ