सहरसा। 07 अक्टूबर। कैल्ह गुरुवार दिन जिला परिषद परिसर म' स्वदेशी चेतना अभियान केर बैसार भेल। बैसार म' स्वदेशी सामान अपनेबाक आर विदेशी सामान केर बहिष्कार करबाक निर्णय लेल गेल।
बैसार केँ अध्यक्षता करैत भाजपा नेता प्रवीण आनंद कहला कि पैन जमीन आर हवा स्वदेशी तेँ फेर सामान किये विदेशी। अगर अप्पन भारत क' समृद्ध करबाक अछि तेँ स्वदेशी कंपनि सभ क' समृद्ध आर विदेशी कंपनि सभक बहिष्कार करे पड़त। एखन तीन हिस्सा घरेलु व बिजली केर सामान पर मेड इन चाईना लिखल रहैत अछि।
जे चीन पाकिस्तान क' खुला दिल सँ साथ द' रहल अछि। हम सभ देशवासी सीमा पर युद्ध तेँ नै रोइक सकैत छी लेकिन आर्थिक रुप सँ चीन क' कमजोर जरूर क' सकैत छी। बैसार म' सर्वसम्मति सँ ऐहिक लेल ग्रामीण स्तर पर अभियान चलेबाक आर देशी वस्तु सभक सूची केर पर्चा छपवा लोगक बिच बांटबाक निर्णय लेल गेल।
एहि बिच थाना चौक पर अवस्थित परासर इलेक्ट्रॉनिक केर प्रोपराइटर श्री चंद्रशेखर सिंह एहिबेरक दीपावली म' चीनी सामान नै बेचबाक संकल्प लेलन्हि, संगहि आम जन सँ चीनी सामान नै किनबाक लेल आह्वान केलन्हि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।