सहरसा। 06 अक्टूबर। वर्ष 2014-15 आर 2016 केर बोनस आर एरियर भुगतान समेत आन मांगक समर्थन म' कैल्ह बुधवार दिन अखिल भारतीय ग्रामीण डाक सेवक संघ केर आह्वान पर ग्रामीण डाक सेवक सभ प्रमंडलीय कार्यालय केर समक्ष धरना देलन्हि, आर डाकअधीक्षक केर माध्यम सँ विभाग क' मांग पत्र भेजलन्हि।
धरना क' संबोधित करैत डाककर्मि सभ कहला कि सरकार ग्रामीण डाककर्मि सभक लगातार उपेक्षा क' रहल अछि। पहिने भेल समझौता क' लागू करबा म' सेहो सरकार आनाकानी क' रहल अछि। अगर शीघ्र सँ शीघ्र मांग पर विचार नै कायल गेल तेँ डाक कर्मचारी संघ चरणबद्ध आंदोलन चलेबा परमजबूर होयत। संघ के आंदोलनक अगला चरण म' 14 अक्टूबर क' डाक भवन नई दिल्ली पर धरना के बाद 18 व 19 अक्टूबर क' पूरा देश म' दुइ दिवसीय हड़ताल करबाक घोषणा कायल गेल।
धरना म' सचिव मनोज कुमार यादव, अध्यक्ष भरत मिश्र, अमरेन्द्र कुमार अमर, मो. सत्तार आलम, रामविलाश यादव, उमेश यादव, चंचल कुमार, विजय कुमार, रायगीर यादव, रामनारायण साह, अनिल कुमार, रमेश कुमार ठाकुर, कैलाश चन्द्र, राजेश रानू, अरविन्द कुमार, जवाहर प्रसाद सिंह, उदय चन्द चौधरी, शंकर यादव, संजय कुमार सिंह, सुमीत कुमार, राहुल कुमार, हीरा लाल यादव आदि मौजूद छलाह।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।