सड़कक कात म' सुतल 5 लोग क' ट्रक दाबी देलन्हि, पांचो केर मौत

मधुबनी। 05 अक्टूबर।  मधुबनी जिला केँ लौकही थाना क्षेत्र म' आय  बुधवार तड़का एक अनियंत्रित ट्रक सड़क कात सुतल 5 लोग क' दाबी देलन्हि, जाहि सँ सभक मौत भ' गेलन्हि। मृतक सभ म' तीन महिला आर दुइ बच्चा शामिल अछि। पुलिस केर अनुसार, सुपौल दिस सँ एक ट्रक फुलपरास दिस जायत छल, तखने राष्ट्रीय राजमार्ग संख्या 57 पर नरहिया गाम लग ट्रक चालक केर नियंत्रण हरा गेलन्हि आर ट्रक  सड़क कात सुतल पांच क' दाबी देलन्हि।

लौकही केँ थाना प्रभारी रामचंद्र चौपाल कहल कि घटनास्थल पर चारि लोगक मैत भ' अएलन्हि, जखन की एक व्यक्ति अस्पताल म' इलाज केर दौरान दम तोड़लनी। सभ मृतक एकही परिवार के छल, जे गर्मी केर कारण घरक बाहर सड़क कात सुतल छल।

थाना प्रभारी कहल कि मृतक सभक पहचान विभा देवी (30 बरख), रेश्मा देवी (55 बरख), सुनीता देवी (35 बरख), दीपक (10 बरख) आर ओम प्रकाश (6 बरख) के रूप म' क़ायल गेल अछि। सभ शव क' पुलिस अप्पन कब्जा म' ल पोस्टमार्टम लेल मधुबनी सदर अस्पताल भेज देलन्हि। पूरा मामला केर छानबीन कायल जे रहल अछि। घटना केँ बाद ट्रक चालक फरार बताओल जे रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ