सर्जिकल स्ट्राइक पर सियासत, ऑपरेशन पर सवाल

दिल्ली। 05 अक्टूबर। सर्जिकल स्ट्राइक के बाद भारत-पाकिस्तान सीमा पर पैदा भेल तनाव बरकरार अछि। रक्षा मंत्रालय केर प्रवक्ताक मुताबिक कैल्ह मंगलवार दिन सेहो पाकिस्तान दिस सँ रजौरी जिला के नौशेरा सेक्टर म' बिना कुनु वजह केर फायरिंग कायल गेल। सोमवार दिन सेहो  सीजफायर केर उल्लंघन करि पुंछ सेक्टर म' गोलीबारी कायल गेल छल। लेकिन पाकिस्तानी सेना केर गतिविधि केँ उलटा भारत म' पाकिस्तान के उच्चायुक्त अब्दुल बासित कहला कि भारत पाकिस्तान क' बाचतीत करबाक चाही आर अगर भारत एखन एहि लेल तैयार नै भेल तेँ  पाकिस्तान इंतजार करत।

सर्जिकल स्ट्राइक पर देश केँ भीतर सेहो राजनीति शुरू भ' गेल अछि।  कांग्रेस मोदी सरकार पर आँगुर उठायब शुरू केलन्हि तेँ दिल्ली केर मुख्यमंत्री अरविन्द केजरीवाल सरकार सँ ऑपरेशन केर सबूत सामना आनबाक लेल कहला। जवाब म' बीजेपी सवाल उठबै बला पर देशक सेना पर भरोसा नै करबाक आरोप लगौलनि। आम आदमी पार्टी केँ नेता संजय सिंह कहला कि केजरीवाल केर साफ मंशा सँ कायल गेल अपीलक बीजेपी बेबात राजनीतिकरण कएलन्हि।

कांग्रेस नेता पी चिदंबरम केर बयान आयल कि सरकार सर्जिकल स्ट्राइक केर श्रेय लेलन्हि, लेकिन आब सबूतक मांग के जवाबक इंतजार अछि। ओतहि कांग्रेस के एक आर नेता संजय निरुपम एक बेर फेर सर्जिकल स्ट्राइक पर सवाल ठाढ़ केलाह आर भारत सरकार सँ ऐहिक सबूत मांगलाह। एमहर, केंद्रीय मंत्री रविशंकर प्रसाद अरविंद केजरीवाल केर  टिप्पणी क' दुर्भाग्यपूर्ण बतौलन्हि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ