सहरसा। 05 अक्टूबर। शहर म' जल जमाव केर समस्या सँ रूबरू होबाक लेल पहुँचल सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव स्थानीय परिसदन म' पत्रकार सभ सँ बातचीत करैत कहला कि 70 बरख सँ कोसी इलाका केँ बड़का - बड़का जनप्रतिनिधि सभक राज्य केर राजनीति म' अहम योगदान रहल अछि। ऐहिक बावजूद ई इलाका आय धरी पिछरल अछि।
सांसद पप्पू यादव कहला कि सहरसा लगातार दस दिन सँ जलजमाव स' परेशान अछि लेकिन लोग सभक समस्या दूर नै भ' रहल अछि। सांसद पप्पू यादव नगर परिषद पर निशाना साधैत कहला कि बुझी नै पाबैत छी सहरसा म' नगरपालिका केर की काज अछि ? जखन हम सभ बिजली केर उपयोग करैत छी तेँ ओकर बिल जमा करैत छी। मुदा, शहर म' स्वच्छता नै अछि, ब्लीचिंग नै अछि आर लोग सभ क' कुनु सुविधा भेटैत छैन्ह तखन लोग कथिक लेल टैक्स भरत। ओ सभ सँ अपील केलाह कि बिना सुविधा केर कुनु तरहक टैक्स नै दी । आब बड़का लडाई लड़बाक जरुरत अछि, जाहिक शुरुआत सहरसे सँ करब।
सांसद पप्पू यादव उग्रतारा महोत्सव सहित अन्य महोत्सव केर आयोजन पर सवाल उठबैत कहला कि 90 प्रतिशत आबादी खतरनाक बीमारि सभ सँ जूझि रहल अछि। गरीबी असहाय भ' गेल छथ, लेकिन मंत्री फोटो खिंचेबाक चक्कर म' एहि महोत्सव म' शामिल होयत छैथ। ओतै शराबबंदी पर ओ कहला कि शराब बंद होबाक चाही, मुदा नीतीश कुमार व लालू प्रसाद यादव केर मंशा ठीक नै छैन्ह। नीतीश कुमार व लालू प्रसाद बिहार के सभसँ पैघ गैम्बलर छैथ। ओतहि शहाबुद्दीन मामला पर कहला कि लालू प्रसाद अप्पन दुनु बेटा क' स्थापित करबाक लेल शहाबुद्दीन केर इस्तेमाल कएलन्हि। सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव मोटरसाइकिल सँ नगर भ्रमण सेहो केलाह।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।